पटनामे मजिस्ट्रेट खयलक मारि गाड़ि, लोक बनेलक वीडियो, पुलिस देखलक तमाशा।
पूरा समाद इ छै जे मजिस्ट्रेट साहेब अपन दल-बलके सङ्ग तथा जेसीबी लय पटना नगर निगमके वार्ड नम्बर 60के, खाजेकला थाना क्षेत्रमे गेल छलाह। ओतय लोक हुनका सभ कर्म कय देलकनि।
बेचारा अधिकारी चिचिया रहल छलाह बचाउ, बचाउ (निश्चय हिन्दीमे चिचिया रहल छलाह) मुदा भीड़ वीडियो बनेबा लागि गेल आओर पुलिस तमाशा देखय। कोनहुतो जान बचा पड़ेलाय।
ओना आजतकके एकटा समादक मोताबिक बड़का बड़का अधिकारी कहलनि जे लोकसभकेँ चिन्ह कय कारवाई करब।
एकटा मिथिला छै जतय सोशल साइट पर पोस्ट लेल अधिकारी लोकिन केस लिखा गिरप्तारीक बात करैत छथि दोसर दिस मगध छै मजिस्ट्रेट प्राण बचा भागैत अछि।
हमकोनो हिंसाके समर्थन नहि करैत छी मुदा एकबेर सोचि कय देखियो जँ गलती सँ कोनो अधिकारीके किछ कहि देने रहितय तँ मैथिलके घर घुसि बिहारी अधिकारी की हाल कयने रहति?
टिपण्णी