जँ अहाँके अचानक सँ पेटमें दर्द उठएत अछि त' ओकर कतेको कारण भ' सकैत अछि... बुझु अहाँक पेटमें बेर बेर दर्द किएक होयत अछि...! ...
जँ अहाँके अचानक सँ पेटमें दर्द उठएत अछि त' ओकर कतेको कारण भ' सकैत अछि... बुझु अहाँक पेटमें बेर बेर दर्द किएक होयत अछि...!
अपना सबके कखनो नञि कखनो पेट दर्द होयत अछि। लेकिन सभक पेट दर्दक कारण अलग-अलग होयत अछि। समय रहिते जौ अहाँ पेट दर्दक कारण जानि लेब त' अहाँ ओकर सही ट्रीटमेंट करवा सकैत छी।
कतेको बेर सोलिड फूड खयला सँ पेटमें दर्द हुअ लगैत अछि. एहेनमें अहाँ खूब पानि अथवा जूसक सेवन करू। अहिं सँ स्टमक एसिड ख़त्म भ' जाइछ। दरअसल, कतेक बेर लोक सबके सोलिड फूड नञि पचैत अछि जाहि सँ पेटमें दर्द हुअ लगैत अछि।
कतेक बेर क्रानिक डायजेशन डिस्ऑडर्रके कारण सेहो पेटमें दर्द भ' जायत अछि। अहि लेल इलाज करवाउ आओर दवाई सब सेहो छै।
एसिडिटीके कारण सेहो पेट दर्द हुअ लगैत छै। अहि लेल सबसँ पाहिले इ देखू कि अहाँ की चीज खेलौ जो रिएक्ट कए रहल अछि। दोबारा ओही चीजके खाय सँ बचू. कनिक काल सुतला सँ सेहो अहिं दर्द सँ अराम भेंट सकैत अछि।
जौ अहाँके बहुत ज्यादा पेटमें दर्द अछि त' पेप्टिक अल्सर सेहो भ' सकैत अछि. पेनकिलर्स सँ अहिंमें आराम भेट सकैत अछि. हँ पेनकिलर्स बेसी समय तक काज नञि करत. एकरा लेल सर्जरी करवाउ.
कतेको बेर डेयरी उत्पाद सभक नञि पचयवाक कारण सेहो पेटमें दर्द हुअ लगैत अछि। एहेनमें गैस आओर डायरिया हुअके आशंका रहैत अछि। एहेन स्थितिके नजरअंदाज कर' के लेल सब'सँ पहिले डायरी प्रोडक्ट पनाइ बंद क' दिअ।
कतेको बेर बहुत ज्यादा पेटमें दर्द अल्सरेटिव कोलाइटिस'के कारण सेहो भ' सकैत अछि. एहेनमे दवाई सँ अहिं बीमारीके दूर कएल जा सकैछ. जौ अहाँके एहन तरहक फिरेशानी के कारण पेट दर्द भ' रहल अछि त' ट्रीटमेंट जरूरी अछि।
कतेक बेर गैस्ट्रिक प्रॉब्लम आओर ब्लॉटिंग'के कारण सेहो पेट दर्द हुअ लगैत अछि। मतलब ग्लूटनके अहाँक पेट सहन नञि क' पाबि रहल अछि। एहेनमें चेकक करू कि अहाँ एहेन कोन फूड आइटम खेने छलिये जाहिमें ग्लूटन कॉन्टेंट छल आओर अहाँक बॉडीके सूट नञि केलक।
कतेको बेर एपेडिंक्सके कारण अथवा गॉल स्टोनके कारण सेहो होयत छै। एहेन दुनु स्थितिमें सर्जरीक आवश्यकता होयत छै।
महिला सबके पेट दर्द माहवारीके समय अथवा ओही सँ पहिले आबय बाला लक्षणके कारण सेहो भ' सकैछ।
टिपण्णी