मिथिलाके सीतामढ़ी जिलामें भेल पंचायत चुनावमें एगो मृत महिलाके पंचायत समितिक सदस्या चुनल गेल एहेन मामिला सामने आयल अछि, बुझु की अछि पूर...
मिथिलाके सीतामढ़ी जिलामें भेल पंचायत चुनावमें एगो मृत महिलाके पंचायत समितिक सदस्या चुनल गेल एहेन मामिला सामने आयल अछि, बुझु की अछि पूरा मामिला...
सीतामढ़ी सँ एगो चौंका देब' वाला समद आयल अछि, जाहि पर एकबेर अहाँके विश्वास नञि क' सकब। बात दरसअल सीतामढ़ी जिलामें पंचायत समितिमें एगो एहेन सदस्या चुनल गेलीह जे 9 वर्ष पहिलेहे मरि गेल छथि।
सीतामढ़ी जिलाक 10म फेजमें भेल पंचायत चुनावक जखन रिजल्ट आयल त जाँचके बाद पता चलल कि जाहि महिला मिथिलेश देवीके पंचायत समितिक सदस्या चुनल गेल अछि, ओकर त' 9 वर्ष पहिलेहे ओकर पति हत्या क' देने रहए। मिथिलेश कुमारीके हत्याके मुख्य आरोपी ओकर पति सिकंदर मुखिया छलैह। पुलिस रिकॉर्डमें अहि घटनाके बाद सँ सिकंदरके सेहो फरार भ'' जयबाक बात दर्ज अछि।
अपन कनिया मिथलेश देवीके हत्या कर' के बाद अजाद घूमि रहल सिकंदर एगो शातिर चाल चललक, ओ अपन दोसर कनिया गुड़िया देवीके अपन पहिली कनिया मिथलेश देवीके नाम पर चुनावमें उतारि देलकए। जिलाक एगो पुलिस अधिकारी कहलथि, सिकंदर, जेकी ओकर हत्याक आरोपी अछि, से अहिं उम्मीदक संग मिथिलेशके नाम पर अपन दोसर कनियाके चुनावमें उतारि देने छल की ओ केस सँ बरी भ' जायत। जिला मजिस्ट्रेट राजीव रोशन अहिं पूरा मामिलाके जांच आदेश देलनि हनि।
टिपण्णी