मिथिला राज्य'क मांग अलगाववादी अछि अथवा बराबरी'क हिस्सेदारी'क मांग

दोसर सभ सँ साझा करू:

मिथिला राज्यक निर्माण लेल विभिन्न तरहे आन्दोलन भ' रहल अछि । जेना धरना प्रदर्शन, सोशल साईट सँ ल' क' मिथिलामें  रथ यात्रा नि...


मिथिला राज्यक निर्माण लेल विभिन्न तरहे आन्दोलन भ' रहल अछि। जेना धरना प्रदर्शन, सोशल साईट सँ ल' क' मिथिलामें  रथ यात्रा निकलि क' लोगके जागरूक केनाई, कोनो ठाम सेमीनार क' क' , कोनो ठाम ज्ञापन द' क', कोनो ठाम अनशन कए क' मिथिला राज्यक मांग भ' रहल अछि। मिथिला  राज्यक मांग भारतके  अजादी'क समय सँ भ' रहल  अछि अर्थात मिथिला राज्यक मांग बहुत पुरान अछि, सरकार सुतल अछि लेकिन मिथिला लोक (मैथिलि-मिथिलानी) मिथिला राज्य लेल हिंसाक रस्ता नञिं अपनेलक। 
              मैथिल-मिथिलनी अलगाववादी नञिं भ' सकए छथि। बिना कोनो हिंसाक सहारा लेने शांतिपूर्ण संवेधानिक तरीका सँ मिथिला राज्यक मांग केनाई कोनो तरहक अलगाववादी निशानी नञिं छै। मैथिल-मिथिलानी दू देश (भारत-नेपाल) में बाँटल गेला ओहो बातके स्वीकार क' लेने छथि। सीमा पर रहए बाला समुदाय एतेक सहिष्णु छथि जे दू देशमें रहितौ अपन अपन देशके सर्वोपरी बुझैत छथि।
               बिहार राज्यमें मैथिल-मिथिलानीके जीवन लेल जे न्यूनतम आवश्यकता होयत छै सेहो नञि भेंट रहल छै। भारतमें जतेक राज्य अछि एतय तक भारतके केंद्र सरकार अपन अपन भाषा बचेवाक लेल, संवर्धन लेल पैघ स्तर पर काज करैत रहैत अछि। मुदा बिहार सरकार बहुसंख्यक भाषा मैथिलीके भारतके आजादीके 70  साल बादो मान्यता तक नञि देने अछि। मिथिलामें सब साल बाढ़ि एबेटा क'रत, कोनो स्थायी निदान नञिं भेल। सब साल लाखो-करोड़ो के जान आओर माल दुनुक नोकसान होयत अछि, केंद्र सँ बाढ़ि पीड़ित लेल आर्थिक मदति भेटएत अछि ओकरो बंदरबांट भ' जायत अछि। सब ठाम शिक्षा मातृभाषामें भेटैछ मुदा बिहारमें कोर्ट'सँ आर्डर भेलाक बादो मातृभाषामें शिक्षाक लेल कोनो प्रयास नञिंं कएल जा रहल अछि। रोजगारक सब अवसर ख़तम क' देल गेल, कृषिक अवस्था दिनोन्दिन खराप भेल जा रहल अछि। मिथिलाक चीनी मिल, जुट मिल आओर पेपर मिल पर ताला लगा देल गेल अछि। पटना सँ सामन्तवादी व्यवस्थाक तहत सरकार चलि रहल अछि। परिणामतः मैथिल-मिथिलानी कत' जायत, मिथिलाक बड़ बेसी आबादी पलायन लेल मजबूर भ' गेल अछि। जतय एकमात्र उपाय मिथिला राज्य देखा रहल छै ओतय मैथिल चुप किएक रहत, हमरो बराबरीके अधिकार चाही, हमरो ओ सब सुख सुविधा चाही, हमहू सब टैक्स सरकारके दएत छिये। हमर सभक मिथिला राज्यक मांग नञि कोनो अलगाववादक भावना सँ अछि आ नञिं बंटबाराक भावना सँ अछि, हमर सभक मिथिला राज्यक मांग बराबरीके अधिकारक भावनाक संग अछि। मिथिला राज्यक निर्माणमें जतेक देरी भ' रहल अछि हम मैथिल-मिथिलानी ओतेक बेसी पाछू जा रहल छी, भारतक संसदके चाही जे अविलंव मिथिला राज्यक गठन क' क' मिथिलाके समुचित विकासमें सहयोग करए।

मिथिला राज्य'क मांग अलगाववादी अछि अथवा बराबरी'क हिस्सेदारी'क  मांग

टिपण्णी

Name

Aadhaar,1,Airport,1,Alcohol,1,Araria,1,Arvind Kejriwal,1,Award,1,Bank,1,Banka,1,Begusarai,1,Bhagalpur,2,Bigboss,1,Bihar,3,Birthday,1,Border,2,Border Army,1,BSF,1,Business,2,Cinema,6,Congress,1,country,14,Cricket,1,Crime,1,Darbhanga,9,Diabetes,1,East Champaran,2,Economics,1,Editorial,1,Education,3,Election,1,fashion,2,Finance,1,flight,1,Foreign,1,game,1,Government,1,Heath,3,India,1,Internet,1,Jaipur,1,khagaria,1,Kosi,1,Madhepura,1,Madhubani,2,Maithili Cinema,2,MeeToo,1,Mithila,17,Mithila Band,2,MJAKbar,1,Money,1,MSU,1,Mumbai,1,Muzaffarpur,2,Narendra Modi,2,National,15,New Delhi,1,Pakistan,1,Patna,3,PM,1,pok,1,Police,1,Politics,9,Premk Basat,1,Purnea,1,Rail,1,Railway,1,Ratneshwar Jha,1,religion,1,Saharasa,1,Samastipur,2,Science,4,Sheohar,1,Sitamarhi,2,Sony TV,1,SSB,1,Sugar,1,Supaul,1,Supreme Court,1,Technic,1,tirhut,2,Train,1,UN,1,University,1,West Bengal,1,West Champaran,1,अवार्ड,1,आधार,1,आर्मी,1,उत्तर प्रदेश,1,उत्तरपाड़ा,1,कपिल शर्मा,1,कश्मीर,1,काजक समाद,1,कॉमेडी शो,1,क्रिकेट,1,खेल,1,गायक,1,गुजरात,1,चीनीआ बीमारी,1,जयपुर,1,तकनीक,2,दरभंगा,5,दिल्ली,1,देश,7,धारा 370,1,नरेन्द्र मोदी,1,पटना,1,पराक्रम,1,पलायन,1,पश्चिम बंगाल,1,प्रेमक बसात,1,फ्लाइट,1,बिहार,1,भारत,1,महाराष्ट,1,मिथिला,8,मिथिला बन्द,1,मिथिला स्टूडेंट यूनियन,2,मुंबई,1,मैथिली सिनेमा,1,मोबाइल,1,राजनीति,2,राजीनीति,1,राज्यपाल,1,राष्ट्रीय,3,रेलवे,1,लखनऊ,1,विज्ञान,4,विदेश,1,संयुक्त राष्ट्र,1,सर्जिकल स्ट्राइक,1,सिनेमा,3,सीतामढ़ी,2,सुप्रीमकोर्ट,1,स्लीप नींद,1,स्वास्थ,2,हुगली,1,
ltr
item
Mithilak Bhor : मिथिला राज्य'क मांग अलगाववादी अछि अथवा बराबरी'क हिस्सेदारी'क मांग
मिथिला राज्य'क मांग अलगाववादी अछि अथवा बराबरी'क हिस्सेदारी'क मांग
https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEhGBupzwnWA6_7N6YlNSYUPrP7oUkc5fPZPCp09Aj0maby1LTge6Q1og784GLY5xWbJPma36344nQo_lS-Ldy7EHA2ASnmrh-wLEMB2A-zOhenOfloXAVQruWU5y3s0Eix7Z6k0lMwSkg/s320/Mithila_Map.jpg
https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEhGBupzwnWA6_7N6YlNSYUPrP7oUkc5fPZPCp09Aj0maby1LTge6Q1og784GLY5xWbJPma36344nQo_lS-Ldy7EHA2ASnmrh-wLEMB2A-zOhenOfloXAVQruWU5y3s0Eix7Z6k0lMwSkg/s72-c/Mithila_Map.jpg
Mithilak Bhor
https://bhor.mithila.org.in/2016/06/blog-post_98.html
https://bhor.mithila.org.in/
https://bhor.mithila.org.in/
https://bhor.mithila.org.in/2016/06/blog-post_98.html
true
3062133442024929853
UTF-8
सबटा समाद लोड भय गेल अछि कोनो समाद नञि भेटल सबटा देखू बेसी पढ़ु जबाब दिय जबाब हटाउ मेटाउ द्वारा मुख्य पृष्ठ पृष्ठ पोस्ट सबटा देखू अहाँ इहो समाद सब पढ़ि सकैत छी विषय पुरानका समाद ताकू सबटा समाद अहाँके अनुरोध सँ मिलैत कोनो समाद नञि भेटल मुख्य पृष्ठ पर जाउ रवि सोम मंगल बुध बृहस्पति शुक्र शनि रवि सोम मंगल बुध बृहस्पति शुक्र शनि जनवरी फरबरी मार्च अप्रैल मई जून जुलाई अगस्त सितम्बर अक्टूबर नवंबर दिसंबर जनबरी फरबरी मार्च अप्रैल मई जून जुलाई अगस्त सितम्बर अक्टूबर नवंबर दिसंबर अखने तुरन्त 1 मिनिट पहिले $$1$$ minutes ago 1 घंटा पहिले $$1$$ hours ago काल्हि $$1$$ days ago $$1$$ weeks ago 5 सप्ताह सँ पहिले सँ अनुशरण केनिहार/कनिहारि अनुशरण करू THIS PREMIUM CONTENT IS LOCKED STEP 1: Share. STEP 2: Click the link you shared to unlock Copy All Code Select All Code All codes were copied to your clipboard Can not copy the codes / texts, please press [CTRL]+[C] (or CMD+C with Mac) to copy