वायुसेनाक हवाई पट्टीके कमर्शियल उपयोगके लेल राज्य पठाबए प्रस्ताव : पीयूष दरभंगा : केंद्रीय ऊर्जा मंत्री पीयूष गोयल कहलथि कि रीजनल कन...
वायुसेनाक हवाई पट्टीके कमर्शियल उपयोगके लेल राज्य पठाबए प्रस्ताव : पीयूष
दरभंगा : केंद्रीय ऊर्जा मंत्री पीयूष गोयल कहलथि कि रीजनल कनेक्टिविटी'के प्रोत्साहन'के लेल 15 जूनके सरकार नवका नागरिक उड्यन नीति बनेलक अछि। अहि लेल हवाई जहाज'क लेल प्रतिघंटा किराया सेहो तय 'क' देल गेल अछि।
बेसी सँ बेसी घरेलू उड़ानके बढ़ावा देबक लेल एहन कएल गेल अछि, जाहि सँ देश'क लोक असानी सँ एक ठाम सँ दोसर ठाम कम समयमें यात्रा पूरा कए सकए। एहेनमें जौ राज्य सरकार दरभंगा स्थित वायुसेनाके हवाई अड्डा'क कॉमर्शिलय उपयोगके लेल प्रस्ताव केंद्र सरकार लग पठायत त' ओकरा स्वीकृति द' क' पहिले चरणमें शामिल क' लेल जायत। ओ बुधवारक सांझमें दरभंगाक प्रमंडलीय वाणिज्य एवं उद्योग परिषदक ओर सँ होटल एपी पैलेस'में आयोजित बैठकके संबोधित क रहल छलाह।
टिपण्णी