आबय वाला समयमें नञि भेटत वेद पाठी : कुलपति दरभंगा। उच्च स्तरीय व गुणवत्तापूर्ण अनुसंधानक लेल एकाग्रचित भ' क' मौलिक ग्रंथक...
आबय वाला समयमें नञि भेटत वेद पाठी : कुलपति
दरभंगा। उच्च स्तरीय व गुणवत्तापूर्ण अनुसंधानक लेल एकाग्रचित भ' क' मौलिक ग्रंथक अवगाहनक संग-संग सम्बंधित विषय पर पूर्वमें कएल गेल गंभीर अनुसंधान कार्यक समीक्षाक उपरांतए अपन शोध प्रबंधक प्रस्तुति उचित होयत। वैदिक साहित्यक अध्ययन-मनन-अनुशीलनमें विगत कतेको दशक सँ मिथिलामें जाहि तरहक ह्रास दृष्टिगोचर भ' रहल अछि, ओही सँ ई स्पष्ट प्रतीत भ' रहल अछि जे कि ओ समय दूर नञि अछि, जखन वेदक सही पाठ करए वाला नञि भेटत। ई बात कामेश्वर सह दरभंगा संस्कृत विवि'क कुलपति डॉ. देवनारायण झा मिथिला संस्कृत स्नातकोत्तर अध्ययन एवं शोध संस्थामें आयोजित स्थापना दिवस सह शोध प्रशिक्षण कार्यक्रमके समापन समारोहके मुख्य अतिथिके रूप में कहलथि।
टिपण्णी