कोनो अजूबा सँ कम नञि अछि श्रीहरिकोटा, बुझु- इसरो एतय सँ किएक करैत अछि 'चमत्कार' इसरोक सबटा प्रक्षेपणमें अहाँ जाही श्रीहरिकोटा...
कोनो अजूबा सँ कम नञि अछि श्रीहरिकोटा, बुझु- इसरो एतय सँ किएक करैत अछि 'चमत्कार'
इसरोक सबटा प्रक्षेपणमें अहाँ जाही श्रीहरिकोटाके बारेमें सुनते छी, आखिर ओ केहन जगह अछि? आओर सबटा प्रक्षेपण ओतय सँ किएक होयत अछि। आबू जानैत छी देशक अहिंस लॉन्चिंग स्टेशनके बारेमें खास बात...
सतीश धवन स्पेस सेंटर (SHAR) श्रीहरिकोटा' में स्थित अछि। इ एगो स्पिंडल शेप आइलैंड अछि जे आंध्र प्रदेश'में स्थित अछि। इक्वेटर सँ एकर करीबी (पूर्व दिशाक तरफ लॉन्चिंगमें फायदेमंद) एतय सँ लॉन्चिंग हुअ'के एगो बड़ कारण अछि।
श्रीहरिकोटा आइलैंडक 1969 में सैटलाइट लॉन्चिंग स्टेशनके रूपमें चयनित कएल गेल छल। 1971 में RH-125 साउंडिंग रॉकेटक लॉन्चिंगके संग सेंटर ऑपरेशनल भेल। पहिल ऑर्बिट सैटलाइट रोहिणी 1A 10 अगस्त 1979 के लॉन्च कएल गेल छल लेकिन एगो खामीक वजह सँ 19 अगस्त के इ नष्ट भ गेल छल।
श्रीहरिकोटे किएक? एकर पहिल वजह श्रीहरिकोटाक लोकेशने अछि। इक्वेटर सँ एकर नजदीकी एकरा जियोस्टेशनरी सैटलाइटके लेल बढ़िया लॉन्च साइट बनबैत अछि। इ पूर्व दिशाक तरफ हुअ वाला लॉन्चिंगके लेल बेहतरीन अछि। पूर्वी तट पर स्थित हुअ सँ एकरा अतिरिक्त 0.4 km/s क वेलोसिटी भेटैत अछि। बेसिभाग सैटलाइटके पूर्वक दिसे सँ कएल जायत अछि।
उपलब्धता: एतयतक पहुंच' वाला उपकरण बहुत भारी होयत अछि। एकरा दुनियाक कोना-कोना सँ एतय आनल जायत अछि। जमीन, हवा आओर पानि सब दिस सँ एतय पहुँचनाइ आसान अछि।
ई नेशनल हाइवे (NH-5) पर स्थित अछि। नजदीकके रेलवे स्टेशन सँ 20 किलोमीटर आओर चेन्नईके इंटरनेशनल पोर्ट सँ 70 किलोमीटर दूर अछि।
सुरक्षाः एहेन काजक लेल अहाँके आबादी सँ दूर रह'के जरूरत होयत अछि। जनताक सुरक्षा आओर सार्वजनिक संपत्तिक हिफाजत पहिल काज होयत अछि। अहिलेल दुनियाके बेसितर लॉन्चिंग पैड वाटर बॉडीजके लगमें अछि। बैकोनुर एगो अपवाद अछि। भारतमें दूगो लॉन्चिंग पैड अछि। एगो श्रीहरिकोटामें अओर दोसर थुंबा इक्वेटोरियल रॉकेट लॉन्चिंग स्टेशन, तिरुवनंतपुरममें अछि।
पृथ्वीक परिक्रमाः पृथ्वीक परिक्रमाक सबटा मिशन अपना लेल इस्तेमाल कर' चाहैत अछि। पृथ्वी पश्चिम सँ पूर्वक दिस परिक्रमा करैत अछि अहि लेल परिक्रमाक एक बूस्टके तौर पर इस्तेमाल कएल जायत अछि आओर ईंधनक सेहो बचत होयत अछि।
एतयके आबादी बहुत कम अछि आओर एतय रहए वाला बेसीभाग लोक या त' इसरो सँ ही जुड़ल अछि या फेर स्थानीय मलाह अछि...
इसरोक इजाजत सँ एहेन संभव अछि कि अहाँ लॉन्चिंग पैडके देख सकी। प्रत्येक बुधवारके विजिटर्सकेलिमिटेड एक्सेसक संग एतय आनल जायत अछि।
टिपण्णी