मिथिला विकाश बोर्ड तथा आओर विभिन्न माँगके लय कय मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) काल्हि अर्थात पहिल अक्टूबरके मिथिला बन्दके आह्वान केलक अछि।
मिथिला विकाश बोर्ड तथा आओर विभिन्न माँगके लय कय मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) काल्हि अर्थात पहिल अक्टूबरके मिथिला बन्दके आह्वान केलक अछि।
करीब एक महिना सँ MSU के कार्यकर्ता लोकिन सोशल मिडिया पर जोड़ शोर सँ प्रचार कय रहल छलाह, काल्हि अग्नि परीक्षा MSU के, मिथिला बन्द सफल भेल तँ MSU के मिथिलामे बढ़त जनाधार!
फेसबुक पर MSU के भूतपूर्व अध्यक्ष अनूप कुमार मैथिल लिखैत छथि जे दरभंगा, मधुबनी, समस्तीपुर, सुपौल आओर सहरसामे बन्दके नीक असर रहत!
संगे फेसबुक पर इहो लिखैत छथि जे जरुरी जेना मेडिकल, परीक्षा आदिके बन्द सँ दूर राखल गेल अछि।
MSU के वर्तमान अध्यक्ष रौशन मैथिल फेसबुक पर बन्दके समर्थनमे छपायल पोस्टर पोस्ट करैत छथि
MSUके प्रवक्ता विद्या भूषण राय विभिन्न माँग पोस्ट करैत मिथिला बन्दके प्रचार कय रहल छथि
- मैथिली पत्र - पत्रिका केँ सरकारी विज्ञापन ।
- बिहार गानमे मिथिलाक सभ्यता संस्कृति आ विभूति केँ सम्मलित कएल जाय।
- दरभंगा आकाशवाणी सँ बेसी सँ बेसी मैथिली भाषाक माध्यमे प्रसारण ।
- मिथिला क्षेत्रमे दूरदर्शन पर मैथिली कार्यक्रमकेँ प्रसारणक बहुलता ।
- मैथिली अकादमी सँ नियमित पुस्तकक प्रकाशन ।
- प्राथमिक शिक्षामे मैथिली।
- मैथिली अकादमीकेँ सुचारू रूप सँ संचालन आ कर्मचारी लोकनिक नियमित रुप सँ वेतन ।
- सरकार द्वारा वित्तपोषित मैथिली मिथिलाक्षर शोध आ प्रशिक्षण संस्थान ।
- सरकारी स्कूल सभ मे मैथिली शिक्षकक बहाली ।
- राज-काज मे मैथिली भाषाक प्रयोग द्वितीय राजभाषाक रूप मे मैथिली केँ मान्यता
टिपण्णी