नई दिल्लीः #MeToo कैंपेनक तहत यौन शोषणक आरोप सभसँ घेरायल विदेश राज्यमंत्री एमजे अकबर अपन पद सँ इस्तीफा दय देलनि। पत्रकार प्रिया रमानी ...
नई दिल्लीः #MeToo कैंपेनक तहत यौन शोषणक आरोप सभसँ घेरायल विदेश राज्यमंत्री एमजे अकबर अपन पद सँ इस्तीफा दय देलनि। पत्रकार प्रिया रमानी संग लगभग 20 टा महिला सभ एमजे अकबर के उपर यौन शोषणके आरोप लगओने छलीह. विपक्षी दल सभ सेहो मोदी सरकारक ऊपर एमजे अकबर इस्तीफाक लेल दबाद बना रहल छल।
#MJAkbar resigns from his post of Minister of State External Affairs MEA. pic.twitter.com/FcNLh4cVDv— ANI (@ANI) October 17, 2018
एमजे अकबर अपन इस्तीफामे लिखलनि अछि 'हम मंत्री पद सँ इस्तीफा दय रहल छी, हम अपना विरुद्ध लागायल गेल मिथ्या आरोपके अपन निज स्तर सँ चुनौती देब। अहिलेल हम विदेश राज्यमंत्रीक पद सँ इस्तीफा देबाक निर्णय लेलौ. हम प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आओर विदेश मंत्री सुषमा स्वराजक आभारी छी जे हमरा देशक सेवा करबाक मौका देलनि। '
#MJAkbar resigns from his post of Minister of State External Affairs MEA. pic.twitter.com/dxf4EtFl5P— ANI (@ANI) October 17, 2018
टिपण्णी