आइ-काल्हि लोक दिन भरि काज केलाक बाद रातिमे ओछैन पर मोबाइल लए कय जायत अछि। मोबाइलके बिना लोकके सुतनाई पसिन नहि छै। जा धरि निन्दक कार...
आइ-काल्हि लोक दिन भरि काज केलाक बाद रातिमे ओछैन पर मोबाइल लए कय जायत अछि। मोबाइलके बिना लोकके सुतनाई पसिन नहि छै। जा धरि निन्दक कारणे हाथ सँ मोबाइल गिरैत नहि छै ता धरि हाथ सँ मोबाइल छुटैत नहि छै।
कतेक बेर तँ एहनो होयत छै की लोक अपन निन्द खराप कय चैट करैत छै। किछ लोकके तँ बिना व्हाट्सएप आओर फेसबुकके नोटफिकेशन देखने निन्द अबिते नहि छै।
[post_ads]
मोबाइल सँ होमय बला नुकसान सँ लोक अवगत रहितो लोक मोबाइलके ओछैन पर जरूर लय कय जायत छथि। अहुँके मोबाइल सँ होमय बला नुकसान बुझल होयत। मुदा आई बतायब जे मोबाइलके ओछैन पर नहि लय गेला सँ की फायदा छै ।
मोबाइल सँ होमय बला नुकसान सँ लोक अवगत रहितो लोक मोबाइलके ओछैन पर जरूर लय कय जायत छथि। अहुँके मोबाइल सँ होमय बला नुकसान बुझल होयत। मुदा आई बतायब जे मोबाइलके ओछैन पर नहि लय गेला सँ की फायदा छै ।
सब सँ पहिले तँ अहाँके फेसबुक अथवा व्हाट्सएपके नोटफिकेशन टोन सँ निन्द डिस्टर्ब नहि होएत आओर सुकूनक नींद भेटत आओर एगो जे बड़का फायदा भेटत ओ फायदा इ अछि मोबाइलक तेज प्रकाश सँ सेहो आँखि सुरक्षित रहत।
जखन अहाँ मोबाइल संगमे लय कय नहि सुतैत छी तखन अहाँ समय सँ सूति रहब, समय सँ सुतलाके कारणे भोरे जल्दी उठि जायब, भोरे जल्दी उठनाई सेहो स्वास्थ्य लेल नीक होयत छै, आओर अहाँक सबटा काज सेहो समय पर भय जायत।
जँ अहाँ भरि नींद सुतैत छी तँ आवश्यक तनाव सेहो नहि होयत, आओर तनाव नहि होयत तँ यहाँ प्रशन्न सेहो रहब।
टिपण्णी