मधुबनी:- सीमा पर अपराध नियंत्रण आओर तस्करी रोकय लेल एसएसबी तथा नेपाली एपीएफ आओर दुनू देशक पुलिस अधिकारी बुधदिन भारत-नेपाल सीमाक संयुक्त पेट्रोलिंग केलथि। पेट्रोलिंगमे मधवापुर एसएसबी जवान, नेपाली एपीएफ सशस्त्र बल एवं मधवापुर आओर मटिहानी थानाक पुलिस अधिकारी आओर जवान शामिल छलाह। संयुक्त पेट्रोलिंगक नेतृत्व एसएसबी कैम्प प्रभारी इंस्पेक्टर मुकेश कुमार कर्ण कय रहल छलाह।

वैह समय भारत-नेपाल सीमाक मधवापुर सीमा पीलर संख्या 55 - 56 परसा गांव तक तीन किलो मीटर सीमाक पैदल मार्च करैत अधिकारी सभ सीमा पीलर सभक अवलोकन कय सीमा पर अपराध एवं अवैध आओर संदिग्ध आवागमनक लेल प्रयोग भय रहल रास्ता सभक पहिचान कय दुनू देशक बीच आपसक सहयोगके कायम राखय, सीमा पर होई बला तस्करी पर लगाम लगेबाक, आओर दुनू देशक बीच मैत्रीपूर्ण संबंध कायम राखयके निर्णय लेल गेल।
टिपण्णी