खगड़िया (निर्भय)। स्वादिष्ट माछक लेल मशहूर खगड़ियाक प्रसिद्ध डैनी मोइन आब बिहार सरकार आओर एनएचपीसीके (नेशनल हाइड्रो पावर कॉरपोरेशन) सहयोग सँ पर्यटन स्थलके रूपमे विकसित होयत। एतय सोलर पैनलक मदति सँ जतय बिजली उत्पादन होयत, ओतय माछक खेती सेहो होयत रहत। दस मेगावाट बिजली उत्पादनक लक्ष्य अछि।
खगड़िया (निर्भय)। स्वादिष्ट माछक लेल मशहूर खगड़ियाक प्रसिद्ध डैनी मोइन आब बिहार सरकार आओर एनएचपीसीके (नेशनल हाइड्रो पावर कॉरपोरेशन) सहयोग सँ पर्यटन स्थलके रूपमे विकसित होयत। एतय सोलर पैनलक मदति सँ जतय बिजली उत्पादन होयत, ओतय माछक खेती सेहो होयत रहत। दस मेगावाट बिजली उत्पादनक लक्ष्य अछि। अहिके लय कय 14 सितंबरके पशु एवं मत्स्य संसाधन विभागक राज्य सचिव, एनएचपीसीक प्रतिनिधि आओर मंत्री खगड़िया प्रखंड मत्स्यजीवी सहयोग समिति लिमिटेडक बीच अहम बैठक भय चुकल अछि। जाहिमे डैनी मोइनके लीज कय लय कय विस्तृत चर्चा भेल। लीजक अवधि 30 वर्षक होयत। मंत्री, खगड़िया प्रखंड मत्स्यजीवी सहयोग समिति लिमिटेड, अशोक कुमार बतओलनि जे की अहि सम्बन्धमे आब सिर्फ कागजी प्रक्रिये बाकी अछि।
टिपण्णी