मुंबई: मुंबई सँ जयपुर जा रहल जेट एयरवेजक फ्लाइट संख्या 9W 697 के आपात स्थितिमे फेर सँ मुंबईमे उतारए पड़ल। केबिन क्रूके बहुत बड़का लापरव...
मुंबई: मुंबई सँ जयपुर जा रहल जेट एयरवेजक फ्लाइट संख्या 9W 697 के आपात स्थितिमे फेर सँ मुंबईमे उतारए पड़ल। केबिन क्रूके बहुत बड़का लापरवाही सामने आयल अछि। केबिन क्रूके गलतीक कारण सँ फ्लाइटमे उपस्थित 166 यात्री सभक जान आफतमे पड़ि गेल। भेल ई छल जे टेकऑफ के समय केबिन क्रू फ्लाटके भीतरके प्रेशर मेंटेन राखए वाला स्विच दबेनाई बिसैर गेल। अहि कारण सँ फ्लाइटके अन्दर प्रेशर अनियंत्रित भय गेल, आओर 30 टा सँ बेसी यात्रिक नाक-कान सँ खून बहए लागल। चुकि अपन सभक शरीर समुद्रतलकर अभ्यस्त अछि आओर ऊपर गेला सँ प्रेशरके अनियंत्रित भय जायत अछि।
जेट एयरवेजक फ्लाइट आइ भोरे नियमित समय सँ तीन मिनट पहिले 5 बाजि कय 52 मिनट पर उड़ल. बीच रास्ता सँ 6 बाजि कय 12 मिनट पर यूटर्न लेलक आआओर 7 बाजि कय 24 मिनट पर वापस इमरजेंसी लैंडिग केलक. एयरपोर्ट पर पहिलेहे सँ एंबुलेंसक व्यवथा छल, बीमार यात्री सभके तुरन्त इलाज लेल लय गेल. ई फ्लाइट मुंबई सँ जयपुरके लेल 10 बाजि कय 15 मिनट पर उड़त।
मामलाक जांचक आदेश दय देल गेल अछि, जा धरि जांच पूरा नहि होयत अछि, केबिन क्रूके ऑफ ड्यूटी राखल गेल अछि। जेट एयरवेज अहि पूरा मामिला लेल बयान जारी कय खेद जतेलक अछि।
टिपण्णी